Wednesday, 21 March 2012

नव निर्माण करी । डा0 चन्द्रमणि.

नव निर्माण करी,नव निर्माण करी ।
आउ युवाजन!मिलिक' नूतन मिथिला केर निर्माण करी ।। नव निर्माण करी...
विश्व विजय कय सकी उड़ाबी बाधा-ब्याधि पहाड़
तम आसुरी प्रवृत्ति हटाबी हम शक्तिक भंडार
लक्ष्य साधि हम चलल पथिक छी बाट ने कोनो दुर्गम
ओजक ओजन नव उमंग ल' अनुप्राणित छी सदिखन
सुख-वैभव -मधु-आकर्षण सं विलग सतत् गतिमान रही ।नव निर्माण करी...
गउरव गरिमा सं ज्योतिर्मय मिथला केर इतिहास
सुखद भविष्यक निर्माणक हित अर्पित जीवन चास
एक मात्र अछि ध्येय हमर नव मिथिला केर निर्माण
बिनु शोषण उत्पीड़न के हो आजुक मधुर विहान
न्यायोचित अधिकार लेल हम सब संभव बलिदान करी ।नव निर्माण करी...
पूबा- पछिमा-दछिनाहा केर तजि संकुचित विचार
मिथिलावासी सब छी मैथिल क' ली अंगीकार
जातिवाद केर श्राद्ध क्रिया कय मिथिला मैथिल लेल लड़ी
भाषा मम् सबठाँ हो पूजित हम प्रयास एहि लेल करी
पैघ छोट आ' धनी गरीबक गणनाहुक अवशान करी । नव निर्माण करी...
डा0 चन्द्रमणि.

No comments:

Post a Comment